settings icon
share icon
प्रश्न

अनन्त जीवन भेटत ?

उत्तर


ई बाइबिल अनन्त जीवनक लेल एकटा सोझ बाट देखबैत अछि। सबस' पहिने त’ हम ई मानिये टा ली, जे हम सभ परमेश्वर के विरूद्ध पाप कएने छी । "पाप यैह, जे हुनकर महिमा गानमे कटौती केने छी" (रोमन 3:23)। हम सभ ओ सभ काज कएलहुँ जे परमेश्वर के खिसियबैत अछि । यैह हमरा सभ के शापक योग्य बनबैत अछि। चूकि हमरा सभक सभटा पाप अनन्त परमेश्वरक बिरोधी अछि, तेँ सज़ा सेहो अनन्ते होयत। "पापक फल मृत्यु होइछ, परन्तु हमरा सभक भगवान परमेश्वर यीशु उपहारस्वरूप अनन्त जीवन दैत छथि " (रोमन 6:23)।

हालाँकि, परमेश्वरक अमर संतान (यूहन्ना1:1,14), पापमुक्त यीशु (1पीटर2:22), एकटा पुरुष बनलाह, आओर ओ हमरे सभक दण्डके अपना पर ल’ लेबासँ मरलाह, "एहिमे परमेश्वर हमरा सभक दुआरे अपन दुलार देखबैत छथि । यीशु हमरा सभक दुआरे मरलाह, जखन कि हमसभ एखनहु धरि पापी छी"(रोमन 5:8), यीशु सजा काटैत शूली पर मरलाह (जॉन 19:31-42), जकर भागी हम सभ छी (2कॉरिन्थियन 2:21)। तीन दिनक बाद पाप आओर मृत्यु पर अपन विजयके साबित करैत ओ मरला बाद फेर स’ जी उठलाह (1कॉरिन्थियन 15:1-4)।" यीशु के मरला बाद फेर जीवित भ’ गेनाई, एहि प्रकारें ओ अपन दया स’ हमरा सभमे जीवंत आशक नवजन्म देलथि।"(1पीटर1:3)।

हमरा सभके यीशुक प्रति अपन विश्वास निश्चिते बदलक चाही - ओ के छथि, ओ की सभ, आओर किएक केलाह – मुक्तिक लेल (एक्ट 3:19)। जँ हम सभ हुनकामे विश्वास करब, जे हमरे सभक लेल ओ शूली पर चढ़लाह – ई मानब, तखन हमरा सभ के माफ क’ देल जाएत आओर स्वर्ग मे अनन्त जीवन भेटबाक पकिया वादा सेहो भेटत। "परमेश्वरक लेल ई दुनिया एतेक प्रियगर अछि जे ओ अपन एक मात्र संतान के एहि ठाम पठेलाह, जाहि सँ कि जकरा ककरो हुनकामे विश्वास छैन - ओकर मृत्यु नहि होइ बल्कि ओकरा अनन्त जीवन भेटइ" (जॉन 3:16)। "यदि अहॉ अपना मूँह सँ बाजि स्वीकार करैत छी जे, 'यीशु महान छथि,' आओर अपना हृदय सऽ विश्वास करैत छी जे परमेश्वर हुनका मृत्यु स’ उठेने छथिह त’ अहॉक रक्षा होयत" (रोमन10:9)। सिर्फ यीशु द्वारा शूली पर कएल गएल काज पर विश्वास केनाई, अनन्त जीवनक एकमात्र सत्यक बाट अछि! "हुनके टा कृपा सँ आ एहिमे विश्वास कएला सँ, अहॉक जीवन बचि सकैत अछि - आओर ई अहींक लेल नहि, ई त’ परमेश्वरक लेल सेहो उपहार अछि " (इफेसियन्स2:8-9)।

जँ अहॉ यीशु के अपन रक्षा करए वला मानए चाहैत छी, त’ एतए एकटा आसान प्रार्थना अछि। ई प्रार्थना रटि लिअ’ बाकि कोनो दोसर प्रार्थना अहॉक रक्षा नहि कए सकैत अछि। मात्र यीशुमे विश्वास केनाई अहॉ सभके पाप स’ बचाओत। ई प्रार्थना परमेश्वरमे अहॉक विश्वास प्रगट करबाक एकटा तरीका अछि आओर अहाँ अपन मुक्तिक लेल हुनका धन्यवाद दियौन्ह। " हे परमेश्वर, हम जनैत छी जे हम पाप कएने छी अओर सजाक भागी छी। मुदा जाहि सजाक हम भागी छी ओ यीशु भोगि लेलाह, एहि कारण हुनकामे विश्वास रखबाक कारण हमरा माफ कए दिए। अपन मुक्तिक लेल हमरा अहॉमे विश्वास अछि। अहॉक कृपा होबाक आओर अनन्त जीवनक सनेस दय हमर मुक्ति करबाक लेल हम अहॉके धन्यवाद दैत छी! आमीन!"

अहॉ एखन धरि जे पढ़लऊ ओहि स’ यीशु के बारेमे कोनो निर्णय लेलहु वाकि नहि? जँ हाँ, त’ कृपा कए क’ "हम आई यीशु के स्वीकार कए लेलहुँ" बटन के दबाउ।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

अनन्त जीवन भेटत ?
© Copyright Got Questions Ministries