settings icon
share icon
प्रश्न

व्यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे यीशु के अपनयबाक अर्थ की होइत अछि?

उत्तर


कि, अहॉ कखनो यीशुके अपन व्यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे अपनेलहुं? एहि स’ पहिले कि अहॉ उत्तर दी, हमरा प्रश्‍नके बुझाबए दिअ। एहि प्रश्‍नके नीक जकॉ बुझए स’ पहिले अहॉके "यीशु", "व्यक्तिगत" आ "उद्धारकर्ता" के नीक जकॉ समझक चाही।

यीशु मसीह के छथि? बहुते लोक यीशुके एकटा नीक मनुख, पैघ मास्टर वा परमेश्‍वरक पुरहितक रूपमे अपनेता। ई सभ त’ यीशुक विषयमे निश्चिते रूप स’ सत्य अछि, मुदा ई एहि बातक परिभाषा नहि दैत अछि जे वास्तवमे ओ छैथ के। बाइबिल हमरा सभके कहैत अछि जे यीशु देहधारी परमेश्‍वर छथि, एहन परमेश्‍वर जे मनुख बनलाह (देखू यूहन्ना 1:1,14)। परमेश्‍वर धरती पर हमरा शिक्षा दएबाक, निरोग करबाक, ठीक करबाक, क्षमा करबाक आ हमरा लए मरय अएलथि। यीशु परमेश्‍वर, दुनिया बनाबए वला आ संप्रभु छथि। कि, अहॉ एहि यीशु के स्वीकार केलहुं?

उद्धारकर्ता की होइछ आ हमारा सभके उद्धारकर्ताक किएक जरूरत अछि? बाइबिल हमरा सभके कहैत अछि जे हम सभ गोटे पाप कएने छी, हम सभ गोटे खराब काज कएने छी (रोमियो 3:10-18)। अपना पापक फलमे, हम सभ गोटे परमेश्‍वरक तामस अन्याय के भागीदार छी। अपरिमित आ सनातन परमेश्‍वरके विरूद्ध पाप करबाक उचित दण्ड अंतहीन अछि (रोमिया 6:23; रिभेलेशन 20:11-15)! ताहि कारण हमरा सभके उद्धरकर्ताक जरूरत अछि!

यीशु धरती पर अएलाह आओर हमारा बदला मरलाह। यीशुके मृत्यु, देहधारी परमेश्‍वरक रूपमे हमरा सभक पापक असीमित कीमत छल (2कुरिन्थियों 5:21)। यीशु हमर सभक पापक जुर्माना दै लै मरलाह (रोमियो 5:8)। यीशु एहि दुआरे कीमत चुकौलाह जाहि स’ कि हमरा सभके नहि चुकाबए पड़य। यीशु के फेर स’ जीव गेनाई ई प्रमाणित कए देलक जे हुनकर मृत्यु हमरा सभक पापक जुर्मानाके रूपमे काफी छल। यैह कारण अछि जे मात्र यीशु टा उध्दारकर्ता छथि (यूहन्ना 14:6 एक्क्ट्स 4:12)! की, अहॉ यीशु मे अपन उद्धारकर्ताक रूप मे भरोसा कए रहल छी?

की, यीशु अहॉक अप्पन उद्धारकर्ता छथि? बहुत लोक मसीही धर्म के गिरजाघर जेनाइ, रीति-रिवाजके पूरा केनाइ आ किछु विशेष तरहक पाप नहि करबाक रूपमे देखैत छथि। ई मसीही धर्म नहि अछि। असलमे मसीही धर्म यीशुक संग व्यक्तिगत संबंध भेनाई अछि। यीशुक अपन व्यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे मानबाक माने अछि हुनकामे अपन स्वयंके व्यक्तिगत विश्‍वास आ भरोसा रखनाई। किओ किछु विशेष काज केला स’ क्षमा नहि पाबि सकैत अछि। उद्धार पाबएक एकमात्र बाट यैह अछि जे कि अहॉ हुनकर मृत्यु पर अपन पापक कीमतक रूपमे भरोसा राखि आ हुनकर पुनर्जन्मके अनन्त जीवनक विश्‍वस्तता मानि कए, व्यक्तिगत रूप स’ यीशुके अपन उद्धारकर्ता मानि लिय’ (यूहन्ना 3:16)। की, यीशु व्यक्तिगत रूप स’ अहॉक उद्धारकर्ता छथि?

यदि अहॉ उद्धारकर्ता यीशुके अपन व्यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे मानए चाहैत छी त’ परमेश्‍वर के ई कहियन्हुं। बूझि लिय’ ई प्रार्थना या आओर कोनो दोसर प्रार्थना अहॉक उद्धार नहि कए सकैत अछि। सिर्फ यीशुमे विश्‍वासे रखनाई अहॉके पाप स’ बचा सकैत अछि। ई प्रार्थना त’ परमेश्‍वरमे अपन विश्‍वास परकट करै के आ अपन उद्धार करबैक एकटा साधारण तरीका अछि। "परमेश्‍वर, हम जनैत छी जे हम अपनेक विरूद्ध पाप कएने छी, आओर हम दण्डक भागी छी। लेकिन यीशु मसीह ओ दण्‍ड भोगि चुकल छथि जकर हम भागी छी, एहि स’ हुनकामे विश्‍वास कएक हमरा क्षमा कएल जा सकैत अछि। हम अपन पाप स’ मुँह मोड़ैत छी आ उद्धारक लेल अहॉमे अपन विश्‍वास रखैत छी। हम यीशु के अपन व्‍यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे स्‍वीकार करैत छी! अहॉक आश्‍चर्यजनक अनुग्रह आओर क्षमाक लेल – अनन्‍त जीवनके वरदानक लेल अहॉके धन्‍यवाद! आमीन!"

अहॉ एखन धरि जे पढ़लऊ ओहि स’ यीशु के बारेमे कोनो निर्णय लेलहु वाकि नहि? जँ हाँ, त’ कृपा कए क’ "हम आई यीशु के स्वीकार कए लेलहुँ" बटन के दबाउ।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

व्यक्तिगत उद्धारकर्ताक रूपमे यीशु के अपनयबाक अर्थ की होइत अछि?
© Copyright Got Questions Ministries