settings icon
share icon
प्रश्न

की, यीशु परमेश्वर छथि? की, यीशु कखनो परमेश्वर होएबाक दावा कएने छथि?

उत्तर


यीशु बाइबलमे कतउ ई नहि उल्लेख कएने छथि जे ओ परमेश्वर छथि। हालांकि एकर ई मतलब नहि अछि जे ओ ई प्रमाणित नहि कएने छथि जे ओ परमेश्वर छथि। उदाहरणस्वरूप जॉन 10:30 मे यीशुक द्वारा कहल शब्द लिअ, "हम आ परमपिता एक्कहि छी।" एक नजरिमे एहि स’ ई नहि बुझि पड़ैत अछि जे ओ परमेश्वर होएबाक दावा करैत छथि। हलांकि, हुनकर कथन पर यहूदी सभक प्रतिक्रिया देखू, "यहूदी सभ जबाब देलक, जे हमसभ एहि बातक लेल अहॉ के पाथर नहि मारि रहल छी, बल्कि भगवानक निंदा करएक लेल पाथर मारि रहल छी, किएक त’ अहॉ एकगोट साधारण आदमी भए क’ दावा करैत छी जे अहॉ भगवान छी" (जॉन 10:33)। यीशुक बातक अर्थ यहूदी सभबुझलक जे ओ भगवान होएबाक दावा करैत छथि। अगिला गीत मे, यीशू कखनो यहुदी सभक ई कहिक अपन कथनक सुधार नहि करैत छथि जे, "हम परमेश्वर होएबाक दावा नहि कएलहुँ।" एहि स’ लगैत अछि जे यीशु ठीके कहैत छलाह जे ओ परमेश्वर छथि, ओ ई कहि घोषणा करैत छथि, "हम आओर परमपिता एक्कहि छी" (जॉन 10:30)। जॉन 8:58 दोसर उदाहरण अछि। यीशु घोषणा कएलथि जे, "हम अहॉ सभके सत्ये कहैत छी, अब्राहमके जनम होइ सँ पहिले, हम छी!" एहि पर फेर स’ यहुदी सभ यीशुके मारबाक प्रयासमे पाथर उठा लैत अछि (जॉन 8:59)। जँ यीशु किछु कहलखिन्ह नहि त’ यहुदी सभ हुनका पाथर किएक मारय चाहलकैन । किएक त’ अपना के परमेश्वर होएबाक दावा केनाई के ओ सभ तिरस्कार योग मानलक?

जॉन 1:1 मे कहल गेल अछि जे "शब्द परमेश्वर छल।" जॉन 1:14 कहैत अछि जे "शब्द मौस बनि गेल।" ई स्पष्ट रूप स देखबैत अछि जे यीशु मौस मे परमेश्वर छथि। एक्ट 20:28 हमरा सभ के कहैत अछि, "... परमेश्वरक गिरजाघर के चरवाहा बनूँ, जकरा ओ अपन खून द’ क’ किनने छथि।" गिरजाघर के अपन खून स’ किनने छथि? यीशु। एक्ट्स 20:28 मे लिखल अछि परमेश्वर गिरजाघर के अपन खून स’ किनने छथि। तैं यीशु परमेश्वर छथि!

यीशुक शिष्य थॉमस घोषित कएलखिन्ह , "परम परमेश्वर आ हमर भगवान" (जॉन 20:28)। यीशु हुनकर सुधार नहि कएलखिन्ह। टीटस 2:13 हमरा सभहक अपन परमेश्वर आओर रक्षक-यीशु, के अयबाक प्रतीक्षा करबाक लेल उत्साहित करैत छथि (2पीटर 1:1 सेहो देखू)। हिब्य्रू 1:8 मे, यीशुके परमपिता घोषित कएल गेल अछि। "परन्तु पूत्र के बारेमे ओ कहैत छथि, "हे प्रभु, अहॉक सिंहासन हरदम रहत, आओर नीक लोक अहॉक साम्राज्यके लाठी बनत।"

रहस्योद्धाटनमे, एक टा देवदूत समाज सुधारक जॉन के निर्देष देलकै जे सिरफ परमेश्वर के पूजा करू (रिभेलेषन 19:10)। धर्मग्रंथ मे बहुते बेर यीशु के पूजा कएल गेल छै (मैथ्यू 2:11; 14:33; 28:9,17; ल्यूक 24:52; जॉन 9:38)। ओ एको बेर लोक के ई नहि कहलखिन्ह जे हमर पूजा नहि कर’। जँ यीशु परमेश्वर नहि होएतथि, त’ ओ लोक के कहि सकैत छलाह जे हमर पूजा नहि कर’, ओहि तरहे जेना कि देवदूत रिभेलेषन मे कहलखिन्ह। धर्मग्रन्थमे बहुते गीत आओर पैरा छै जाहिमे यीशु होएबाक प्रमाण छन्हि।

यीशु के परमेश्वर होएबाक सबस’ महत्वपूर्ण कारण ई जे यदि ओ परमेश्वर नहि होएतथि त’ हुनक मृत्यु स’ पूरा दुनिया के पापी सभक दण्डक चुकता करबाक लेल काफी नहि होएत (1 जॉन 2:2)। केवल परमेश्वरे एहि तरहक अपरिमिति दण्ड चुकता कए सकैत छथि। सिर्फ परमेश्वरे दुनिया भरक पाप ल’ सकैत छथि (2कोरिन्थियन्स 5:21), मरि सकैत छथि आओर पाप आ मृत्यु के जीत क’ फेर स’ जनम ल’ सकैत छथि।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

की, यीशु परमेश्वर छथि? की, यीशु कखनो परमेश्वर होएबाक दावा कएने छथि?
© Copyright Got Questions Ministries